मिनहा -मोजरके झमकैत धमक
मिथिला मैथिलीक सामाजिक आयाम, सांस्कृतिक परिदृश्य, साहित्यिक विशद् विस्तृति संसार, लोक कला(संगीतक ऐतिहासिक व्याप्ति, रंगमंच आ रंगकर्मीक पहुँच आ निजत्व, लोक संचेतना तथा मिथिला गौरवक नैसर्गिक उद्वेगक संगहि एकर सम्पूर्ण भाषिक सांस्कृतिक सत्ता ओ प्रभुताक निजत्वसबके समेटिकु सङोरिकु, एकर समग्रताके हथोडि(बटोरिकु, एकरा नवीन पुस्ता पीढीमे पुस्तान्तर, हस्तान्तरण आ रुपान्तरण हियाव हिसाबसु, मैथिली विकास कोषु ई जनकपुरधाम साहित्य कला आ अन्तर्राष्ट्रीय नाट्यकर्मी महोत्सव जे सुसम्पन्न कएलक अछि ओ बहुत अर्थे, बहुत बाते तथा उच्च उल्लेख्य रुपे सफल, समादृत ओ झमकौआ गमकौआ वाहवाही लुटबैया रहल अछि१
एहि ठाम बहुते भाषा साहित्य, कला(संस्कृतिसब पदबडैता उपर(चौढ करैत देखाइ तु दैछ, मुदा मैथिलीक आगू एतए ुकहाँ राजा भोज, कहाँ गंगू तेलीुबला भाव आ प्रभाव एहि महोत्सवसु बड बेसी देखुमे आएल अछि।
लोकसरोकारी मुद्दा आ विषय, भाषा( साहित्य कला(संस्कृतिके केन्द्रमे राखि, राष्ट्रिय अन्तराष्ट्रिय स्तरक विज्ञ, विद्वान आ विशेषज्ञलोकनिके ससम्मान समादृत मंच दु, हुनकासबके विचार आ समकालीन अभिव्यक्तिके सान्दर्भिक संचारी अर्थवता दैत दिअबैत, वैश्विकता प्रदान करब एहि महोत्सवक विशेषताके उच्च मूल्यांकन सहित समादृत कएल गेल ।

देश आ प्रदेश राजनैति, भाषा राजनीति, लोक समाज, विकास तथा अन्यान्य बहुतो विषयसबपर राज्य पक्ष, सरकार पक्ष विपक्षक संग वुद्धिजीवि, संचारकर्मी, अन्यान्य सरोकारी सबसु प्रत्यक्ष ओ वेवाक सम्वाद, बहस, विमर्श सार्थक सरोकारी तथा सान्दर्भिक रहल छल ।
साहित्य, कला, नाट्य ओ युवाके विषय ओ सन्दर्भ बना, बहुते स्तरसु विशिष्ट तु रहबे कएल, ओहिमे बाल वकतृत्व कला प्रतियोगिता बहुत विचारोत्तेजक तथा भविष्योन्मुख आश्वस्ती दायक रहल । ओइमे बाल दृष्टि(दर्शन, ओकर संचेतना ओ स्वीकृति, भविष्य आ आगत प्रतिक आश्वस्त ओकर अप्पन मार्गचित्रसब बहुत विचारोत्तेजक तथा ओकरे अप्पन मुहावरा ओ परिभाषाक छल १
सबसु सब ओहि महोत्सवक बिनु ओर(छोरक झांखीमे विविध विद्यार्थी, युवा, विभिन्न जाइत, समाज, सांस्कृतिक लोकक समावेशीता, एहि मधेश प्रदेशमे मिथिला मैथिलीक प्रतिक विराट जनस्वीकृतिक गरिमामय परिचायक छल ।
बहुत उल्लेख्य आ समादृत ुआर्ट वर्कशप आ अन्तर्राष्ट्रीय नाट्यकर्मी महोत्सव विशेष उल्लेख्य तथा सृजनशील रचनाधर्मी ओ उपलव्धीमूलक रहल ।
सास्कृतिक कार्यक्रमसु एतुका लोक समाज बहुत आनन्दित भेल ।
समग्रमे एहि महोत्सवक सफलता तथा उपलव्धीके बहुत उच्च मूल्यांकन कएल गेल।




